भूख:-
फुटपाथक कतमे पड़ल छाओ मासक नेनाके भूखसँ बेहाल पथियामे राखल आम दिस लपकैत देखि कात करैत ओकर माय कहै अछि - पियास लागल छह? आनि देत छियह चापाकल सऽ ठंढा पानि
भरि मोन पीबी लिहs
आ पिब हमहूँ
शान्त करब अपन लहरित पटकें
आ तोहर सेहो!
एक आमक दाम
बुझल छह तोरा?
नहि ने!
मात्र पाँच टाका आ महाजन सुदी
एक संझाक खोराक
आधा सेर मोटका चाऊरक दाम
चलह बना देत छियs मरसटका
ओहिमे तकियs बेटा!
मालदह आमक स्वाद!
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें