गीत:-
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२ मुखड़ा
संग जीयब मरब किरिया खेने छलियै
संग छोड़ब नै सपथ लेने
छलियै
छन में सभटा किरिया सपथ
तोईड देलियै
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२
अहाँ बिन हम एकौ पल जीव
नै सकब
माहुर विछोड्क हम पीव
नै सकब
कहू संग कोना हमर अहाँ
छोईड गेलियै
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२
छोट्मोट नोकझोंक होईते
छै पियार में
साँच प्रेम कहाँ भेटत
कतौ बाज़ार में
अदना बात पर किया रुईस
गेलियै
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२
बाह्रैन नै पडैय गोरी
घर आँगन दुवार में
बाती नै जरैय रहैत छि
हम अन्हार में
दुधमुहा नेना के कोना
बिसैर गेलियै
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२
खेतक काज सं थाकि आबी
चूल्हा चौका करैछी
एसगर कन्किरबा
कनकिरबी कें हमही डेबैछि
बच्चा बुच्ची सं मुह
कोना मोईड लेलियै
हे यए गोरी अहाँ कतय
चैलगेलियै--२
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें