हर जगह -प्लस के चर्चा
रूप  के  चर्चा  कोना  करी
बाजार   बहुत  गरम  अछि 
प्रेम  के  चर्चा  कोना  करी 
जेबी   परल  नरम  अछि 
टका-टका -टका -टका 
टके   पर  दार  मदार अरल  अछि 
हम  के  छि 
की  नाम  अछि 
कोण  गाम  घर 
की  परिवार  क  परिवेश  अछि 
सब  अछि  फीका 
जन  जेब  नरम  अछि 
रेट  लिस्ट  टंगल  अछि 
कुम्हार  जाऊ -जेब  परल  नरम  अछि 
डॉक्टर -१०लख +कार 
इंजिनियर  -८  लाख +कार 
सरकारी  नौकरी -५  लाख +मोटर साईकल
पिताजी  के  सरकारी  नौकरी -३ लाख + मोटर  साइकिल 
५ बीघा  खेत - २ लाख + मोटर  साइकिल 
दिल्ली  सेट -१ लाख  +मोटर  साइकिल 
हर  जगह -प्लस के  चर्चा 
दान  दहेज़  सब  सन  बड़का 
बेटी  के  बाप  -माथ  कीलें  नीचा 
आब  की  करब   
कोना  करब 
करब   नै  तय  मरब 
सस्तो  करब 
तय  १ ललक  प्लस 
कोना   करी 
प्लस  के  जोगार 
कोना  मिटात  इ  अत्याचार
 रचना 
अभिषेक चौधरी 
 
 
 
