Ads by: Mithila Vaani

रविवार, 16 दिसंबर 2012

मिथिला बिनु देशक पिहानी अपूर्ण : नीतीश -केन्द्रक सहयोग तँ आर चमकत प्रदेशक चेहरा मिथिला बिनु देशक पिहानी अपूर्ण : नीतीश


 
मिथिला बिनु देशक पिहानी अपूर्ण : नीतीश


-केन्द्रक सहयोग तँ आर चमकत प्रदेशक चेहरा
मिथिला बिनु देशक पिहानी अपूर्ण : नीतीश

दरभंगा, 16 दिसम्बर (मिआसं)। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे मिथिलाक कला आ संस्कृ तिक  बिनु देशक पिहानी अपूर्ण अछि। एहि क्षेत्रमे मिथिला बेसी समृद्ध अछि। एहि ठाम कतेको प्रकाण्ड विद्वान भेला जे समाज आ राष्ट्रकेँ नव बात देखौलनि आइ चारू भर देशमे मिथिलाक गूञ्ज अछि। जहिना देशक विकास बिहारक प्रगतिकेँ बिनु सम्भव नञि अछि तहिना मिथिलाक विकासक बिनु देशक प्रगति असम्भव अछि। रविकेँ ओ माधवेश्वर परिसरमे पूर्व विधान पार्षद सञ्जय झाक ऐक्छिक कोषसँ निर्मित माँ श्यामा जानकी मिथिला भवनक उद्घाटनोपरान्त समारोहमे बाजि रहल छला।
मुख्यमंत्री कहलनि जे मिथिला कला आ संस्कृ तिके ँ विकासक लेल सरकार प्रतिबद्ध अछि। मिथिला पेण्टिंगकेँ विकसित करबाक लेल मधुबनी जिलाक सौराठमे डिम्ड यूनिवर्सिटी खुजि रहल अछि। एहि ठामक सीकी कलाकेँ सेहो मान्यता भेटऽ जा रहल अछि। प्रदेशक विकासपर बजैत ओ कहलनि जे आइ जतबा परिवर्तन देखबामे आबि रहल अछि से राज्यमे उपलब्ध सीमित संसाधनक बलपर भेल अछि। जँ केन्द्र सरकारक ध्यान पड़ै तँ राज्यक चेहरा आरो चमकि जाएत। श्री कु मार कहलनि जे भारतक विकास दर विकसित प्रदेशक भरोसे अछि एहि चलते ई दर उपर-नीचा होइत रहैत अछि। एकरा स्थिर करबाक लेल विकासशील राज्य सभकेँ विशेष दर्जा प्रदान करब आवश्यक अछि।
श्री कु मार कहलनि जे बिहारक साढ़े दस करोड़ जनता देश भरिमे बोझ बनि कऽ नञि रहऽ चाहैत अछि। हम सभ विकासमे सहभागी होबए चाहै छी। एखन बिहारक सकल घरेलू उत्पाद (जीडीपी) 2.9 प्रतिशत अछि। देशक आबादीक आठ प्रतिशत जनसंख्या राज्यमे अछि। हम चाहैत छी जे देशक जीडीपीमे हमर सहभागिता दस प्रतिशत होबए। एहि लेल विशेष राज्यक दर्जा हमर माङ अछि। ई जाबत धरि पूर्ण नञि होएत तँ एहि लेल आवाज उठबैत रहब। समारोहमे जल संसाधन मंत्री विजय कु मार चौधरी कहलनि जे पञ्चवर्षीय योजना (2007-12) मे देशक पैघ राज्यक विकास गतिमे सभसँ तेज बिहार गति रहल एहि लेल पछिला दिन उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी पुरस्कार सेहो ग्रहण केलनि। ई हमर विकासक प्रति प्रतिबद्धताक प्रमाण अछि।
एहि अवसरपर नगर विधायक सञ्जय सरावगी मिथिलाक कला आ संस्कृतिक विकास लेल भऽ रहल काजक चर्चा करैत कहलनि जे पर्यटन आ कला विभागक संग एक गोट स्वायत विकास परिषद बने जे मिथिलाक विलुप्त होइत धरोहरिकेँ चिन्ता करए। विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी कहलनि जे मिथिलाक विकास लेल मुख्यमंत्री हड़िदम चिन्तित रहैत छथि। चाहे रेलमंत्रीक रूपमे हो आ कि भूतल परिवहन मंत्रीक भूमिकामे। हिनक कार्यकालमे एहि क्षेत्रमे विकासक काज बेसी भेल। बहादुरपुरक विधायक मदन सहनी लोकार्पित विवाह भवनक शुल्क निर्धारणमे एहि क्षेत्रक गरीबके ँ ध्यानमे रखबाक आग्रह करैत कहलनि जे अतिनिर्धन व्यक्ति लेल ई नि: शुल्क उपलब्ध होए। गोड़ाबौराम क्षेत्रक विधायक इजहार अहमद कहलनि जे मिथिला धार्मिक सम्भाव आदर्श चित्र अछि। एही एकताक संग राज्यक विकास सेहो सम्भव होएत। अध्यक्षीय भाषणमे पूर्व विधान पार्षद सञ्जय झा कहलनि जे श्री कुमारक कालमे दू फाँकमे बँटल मिथिला आवागमनक दृष्टिसँ एक भेल। सञ्चालन मैथिली अकादमीक अध्यक्ष कमलाकान्त झा के लनि, धन्यवाद ज्ञापन लनामिविक कुलपति डॉ. समरेन्द्र प्रताप सिंह द्वारा कएल गेल।

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP