दूध भात..

खा ले बौआ दूध भात 
   नमहर हयबे पाँच हाथ 
   नानीक घर जा नाम कमैहे 
   मामा-मामी कह्तोऊ झात  .....
   
   पान मखानक सुन्दर मेल 
   धान माछ मिथिला में भेल 
   हंसे चान आ हुलकी मारै
   मेघे तर स कहै झात  .....
   
   बाबु गेला काज पर 
   काजक बोझ समाज पर 
   जल्दी स नमहर भ पढ़बे
 तखनहि बुझबे लोकक बात...
   
 दूध में चीनी भेल निपता 
 रौद स बचाबेया छता 
 सीहकै जखन बसंत बसंती 
 बिआनी डोले गाछक पत्ता  ......
 
   
 
 
 
 
0 टिप्पणियाँ:
एक टिप्पणी भेजें