Ads by: Mithila Vaani

बुधवार, 25 अप्रैल 2012

--गजल--

ईहे हमर प्रेमक सजा राखने छी त' कोनो बात नै
आई हमरा ज्यो ई व्यथा अहाँ देने छी त कोनो बात नै

ईहो कम छैक अहाँ देखैत छी ओत कात सँ अखनो

जँ आई हमरा मजधारे डूबेने छी त कोनो बात नै

छलौ हम राखने करेजाक अंतिम तह में नुका क

आई ओ अन्तःपूर अहाँ छोरि देने छी त कोनो बात नै

अहीं निर्मल शीशा एहन हमर आत्मा बनोने छलौं
ओ शीशा अहाँ अपने सँ तोरि देने छी त कोनो बात नै

छैक ककर मजाल कहत रुबी क' अपन दीवानी
मुदा जँ ई गप अहाँ कतौ बजने छी त कोनो बात नै

वर्ण- २०
-- रुबी झा--

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP