Ads by: Mithila Vaani

शनिवार, 7 मई 2011

हर जगह -प्लस के चर्चा

रूप के चर्चा कोना करी
बाजार बहुत गरम अछि
प्रेम के चर्चा कोना करी
जेबी परल नरम अछि
टका-टका -टका -टका
टके पर दार मदार अरल अछि

हम के छि
की नाम अछि
कोण गाम घर
की परिवार क परिवेश अछि
सब अछि फीका
जन जेब नरम अछि

रेट लिस्ट टंगल अछि
कुम्हार जाऊ -जेब परल नरम अछि
डॉक्टर -१०लख +कार
इंजिनियर -८ लाख +कार
सरकारी नौकरी -५ लाख +मोटर साईकल
पिताजी के सरकारी नौकरी -३ लाख + मोटर साइकिल
५ बीघा खेत - २ लाख + मोटर साइकिल
दिल्ली सेट -१ लाख +मोटर साइकिल

हर जगह -प्लस के चर्चा
दान दहेज़ सब सन बड़का
बेटी के बाप -माथ कीलें नीचा
आब की करब
कोना करब
करब नै तय मरब
सस्तो करब
तय १ ललक प्लस
कोना करी
प्लस के जोगार
कोना मिटात इ अत्याचार


रचना
अभिषेक चौधरी

Read more...

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP