Ads by: Mithila Vaani

मंगलवार, 16 अप्रैल 2013

आइ काल्हि फेसबुकपर किछु मैथिल लोक द्वारा हिन्दीमे बहुत रास लेख रचना लिखल जा रहल अछि। एहिमे कोनो सन्देहक गप नञि जे हिन्दी देशक राष्ट्रभाषा अछि। ओना ईहो शोलह आना सच बात अछि जे आइ धरि जे जे राज्य वा प्रान्त हिन्दी भाषाकेँ अपनेलक ओकर सभ्यता आ संस्कृति विलुप्तक बाटपर ठाढ़ अछि। दोसर जखन नार्गाजुन सनक वरिष्ठ हिन्दी साहित्यकारकेँ हिन्दी किछु नञि देलक तखन हमर अंहाक बाते की। ओना एहि तरहक पोस्ट जखन जखन देखै छी तँ एक गोट फ करा अवश्य मोन पड़ि जाइत अछि जे ‘कुकुड़ मारे तिरपित’ ।


  आइ काल्हि फेसबुकपर किछु मैथिल लोक द्वारा हिन्दीमे बहुत रास लेख रचना लिखल जा रहल अछि। एहिमे कोनो सन्देहक गप नञि जे हिन्दी देशक राष्ट्रभाषा अछि। ओना ईहो शोलह आना सच बात अछि जे आइ धरि जे जे राज्य वा प्रान्त हिन्दी भाषाकेँ अपनेलक ओकर सभ्यता आ संस्कृति विलुप्तक बाटपर ठाढ़ अछि। दोसर जखन नार्गाजुन सनक वरिष्ठ हिन्दी साहित्यकारकेँ हिन्दी किछु नञि देलक तखन हमर अंहाक बाते की।

ओना एहि तरहक पोस्ट जखन जखन देखै छी तँ एक गोट फ करा अवश्य मोन पड़ि जाइत अछि जे ‘कुकुड़ मारे तिरपित’ ।

Read more...

सोमवार, 15 अप्रैल 2013

समस्तीपुर रेल मण्डलक डीआरएम अरूण मलिक दरभंगा रेलवी टीशनक वैदेही आरक्षण केन्द्रक नाम बदलबाक निर्देश देलनि अछि। हुनकर कहब छनि जे देशक आन आरक्षण केन्द्र जका एकरो नाम मात्र आरक्षण केन्द्र हेबाक चाही। अपने लोकनिसँ विनम्र आग्रह जे एक जुट भऽ एहि आदेशक विरोध करी। हुनका नम्बरपर फोन अथवा एसएमएस कऽ एहि तरहक निर्देशकेँ आपस लेबाक आग्रह करी। 9771428000, 06274- 222218, Fax-222217

समस्तीपुर रेल मण्डलक डीआरएम अरूण मलिक दरभंगा रेलवी टीशनक वैदेही आरक्षण केन्द्रक नाम बदलबाक निर्देश देलनि अछि। हुनकर कहब छनि जे देशक आन आरक्षण केन्द्र जका एकरो नाम मात्र आरक्षण केन्द्र हेबाक चाही। अपने लोकनिसँ विनम्र आग्रह जे एक जुट भऽ एहि आदेशक विरोध करी। हुनका नम्बरपर फोन अथवा एसएमएस कऽ एहि तरहक निर्देशकेँ आपस लेबाक आग्रह करी।

9771428000, 06274- 222218, Fax-222217

Read more...

गुरुवार, 11 अप्रैल 2013



मिथिला  में  मैथिलि  फिल्लमक   भूमिका --

किछु मैथिल  फिल्लम ,  जे आजुक  समय  में  मिथिला  लेल  बरदान  सवित  भसकैत  अछि , जाही  सन  भाषा  में  बढ़ोतरी  और  मनोरंजनक संग आई इन्कोम के   प्रमुख  साधन  बनत , गाम- घर  में  पसरल  भोजपुरी   के  चलन  किछु  कम  होइय्त , और मिथिला  में  मैथिलि  फिल्लम  फेस्टिवल  के  कार्य  सेहो   निम्न  होयत  से  आशा  कैल जासकैत  अछि  ,  एक   नजीर  अहूँ   दी  अहि  पर देखल जाओ   ---

1.ममता गाबै गीत  सन  सुरुवात  कैल  मैथिल  फिल्लमक  आब  अप्पन  रफ़्तार  पकैर   चुकल  अछि , ई फिल्लम  निकलला के  बद  मैथिलि  फिल्लम  पर  बरेक  जरुर  लगी  गेल् छल , मुदा  २.  सस्ता जिनगी  महाग  सेनुर  ई  साबित  केलक  जे  नै  मिथिला  में   मैथिलि फ़िल्मक बहुत  अभिलाषी  छैथि , ई  फिल्लम निकलक  बाद  किछु बिराम  जरुर  लेलक  ,मुदा  आब  निरंतरण में कत्तार लागल जैत  अछि ,  देखल  जाओ  ओहि  पर एक जानकारी ।

३. आओ पिया हमर  नगरी ४. ममता  ५ . कखन हरव दुःख मोर  ६ . दुलरुवा बाबू  ७.  सेनुरक लाज  ८ . गरीबक  बेटी ९ . सोहागिन  १ ० . सजना  के अगना में सोलहो सिंगर  १ १ . मुखिया जी  १ २ . सेन्हक  बंधन     १ ३. पिया  भेल परदेशी  १ ४ . सेनुरिया   १ ५ . सजना अहाँ बिना  १ ६ . कमला  १ ७ .  मिथिला  के  योधा  १ ८ .अफवाह   १ ९ . प्रितीया   २ ० . हम नै जयाव पिया के गाम   २ १ .  मरी गेल  बेटी  दहेजक खातिर  २ २ . सब दिन सौस के एक दिन पुतोह के  २ ३  कर्म आ  भाग्य  २ ३ . हमर गाम  अप्पन लोक   २ ४ .  चट  मगनी पट बियाह  २ ५ खुरलूची  ,

आ और  किछु  निर्माणधीन  सेहो  अछि   , जेनाकी   -  १.  सेनुरक मोल बड  अनमोल  २ . हीरो तहर दीवाना  ३ . रंगवाज  छोरा  ४ . छुटत  नै प्रेमक रंग ५ . अछिंजल  ७ . घोघ में चाँद  ८ .  हमर सोतिन   ९ . हरबरी  बियाह  कानपट्टी  सेनुर  १ ० .  छोटकी कन्या बडकी कन्या   १ १ . चैन पुर वाली  १ २ . संस्कार  १ ३  . हमरो  करा द बियाह  १ ४  . घटकैती   १ ५ सोतिनक  बेटी  इतियादी

आब अहिं  सब  कहु  मात्र  २-३  वर्ष  में  मैथिलि फिल्लम  एंडस्ट्रि  कतय  पहुँच  गेल  ,  किछु  एहो  जानकारीभेटल  हन  जे किछु कलाकार  ओ  हिंदी  और  भोजपुरी  छोरी  मैथिलि  दिस  मुहँ  मोराला हान    , ई   मिथिला  लेल  गौरव  के  बात  अछि ,  अहं  सब  एक  नजर  अहि  प्रोमो  पर सेहो  ध्यान  दी  -   जय मैथिल  जय मिथिला ,



 



Read more...

शनिवार, 6 अप्रैल 2013

मिथिलाक गामघर: ठाकुरक कुआँ (मुशी प्रेमचन्द्रक कथाक मैथिली अनुवाद...

मिथिलाक गामघर: ठाकुरक कुआँ (मुशी प्रेमचन्द्रक कथाक मैथिली अनुवाद...:   ठाकुरक कुआँ (मुशी प्रेमचन्द्रक कथाक मैथिली अनुवाद, लेखक रोशन कुमार मैथिल) जोखू लोटा मुंहसँ लगेलक तँ पानिमेसँ गन्ध आएल। ओ गंगीसँ कहलक- ...

Read more...

!!नय गेली तय नाय गेली मुसाफिर तय कहेली ने !!

!!नय गेली तय नाय गेली मुसाफिर तय कहेली ने !!

नय बनत तय नय बनत मिथिला राज्य पर नेता जी तय कहयब ने ..

हमरा एक घर में बहुते हरबाह आ काज करे वाला सब अछि अहि में सs एक टा के ऊपर छोट खिशअ आह सब के समक्ष प्रस्तुत करे छि ओ कर नाम छल मल्हू ..
मल्हू के बाबा दादा हमरा घर में काज केत छल मल्हू से करेया ..
जखन खेती बाड़ी भय गे तय हमरा बाबा सs जा कअ मल्हू
मालिक किछु रुपया दैति तs हम पनिजाब सs भय अबिती इ सुनी बाबा कहलखिन जे किया रोउ मल्हू तू पंजाब किया जेबय मल्हू कलह कैन मालिक किछु पैसा कामा लेती आ कानी परदेसी घूम लैति बाब कहलखिन ठीक छइ जो बाबा ओकरा 500 सो रुपया देलखिन ओ बहुत खुस भय के अपना कनिया के कहाल्के जे हम कलिखन पनिजाब जायब तय आह हमर अंगी कुरता सब धो दिया कनिया सब टा तैयार काय देलकै ओ अगिला दिन घर सs निकलल पंजाब के लेल जैत-2 बाबा सs सेहो भेट घाट काय के गेल प्रणाम पाती सब सेहो केलकैन बाबा कहलखिन जे मल्हू ठीक सs जैह ...
मल्हू दरभंगा एस्टेसन पर पहुचल कानी देर बैसल ओइ के किछु देर बाद पंजाब जाय वाला गाड़ी आयल गाड़ी में बैसल के लेल ओ अन्दर जाय के बहुत प्रयास केलक मुदा ओकरा बूते अन्दर नय जा भेलाई ओ बेचारा वापस घुमि कs  ओ लोरिक यानि गाओं आबि गेल आबे में ओकरा राइत भय गेलाई भोरे भोरे बाबा के आबि कs भेट कल कैन बाबा चौकत कहलखिन जा मल्हू की भेलोउ किया ने गेला पंजाब .. मल्हू कहलकैन मालिक बहुत भीर छाले गड़ी पर चडिये नय पौली खैर जय दियोउ मालिक  नय गेली तय नाय गेली मुसाफिर तय कहेली ने .. इ सुनी बाबा बहुत जोर जोर सs हँसे लागला 



चन्दन झा "राधे"

Read more...

बुधवार, 3 अप्रैल 2013

मिथिलाक गामघर: विज्ञानक भाषा संस्कृत (लेखक- न्यायमूर्ति काटजू)

मिथिलाक गामघर: विज्ञानक भाषा संस्कृत (लेखक- न्यायमूर्ति काटजू):   विज्ञानक भाषा संस्कृत (लेखक- न्यायमूर्ति काटजू) प्रिय मित्र, ई हमरा लेल सचमे गौरवक बात अछि जे इण्डियन इंस्टिट्यूट आफ साइंस, बुंगलुरु ह...

Read more...

मंगलवार, 2 अप्रैल 2013

हमरा लोकनि आभारी छी माननीय नीतीश कु मारक जे ओ मिथिला वासीक मान सम्मानकेँ ध्यानमे राखि जानकी नवमी दिन अवकाशघोषित केलनि अछि। जखन राज्य सरकार एहि तरहक डेग उठेलक अछि तँ की केन्द्र सरकारकेँ सेहो एहि दिस ध्यान नञि देबाक चाही? आउ एहि आन्दोलनमे सहयोग करी। अगिला 19 मईकेँ घरे घरमे जानकीक पूजा अचर्ना करबा लेल लोक सभकेँ प्रेड़ित करी। photo ahi link par uplabdh achhi http://mithlakgaamghar.blogspot.in/2012/12/maa-jaanki.html मिथिलाक गामघर: MAA JAANKI mithlakgaamghar.blogspot.in


हमरा लोकनि आभारी छी माननीय नीतीश कु मारक जे ओ मिथिला वासीक मान सम्मानकेँ ध्यानमे राखि जानकी नवमी दिन अवकाशघोषित केलनि अछि। जखन राज्य सरकार एहि तरहक डेग उठेलक अछि तँ की केन्द्र सरकारकेँ सेहो एहि दिस ध्यान नञि देबाक चाही? आउ एहि आन्दोलनमे सहयोग करी। अगिला 19 मईकेँ घरे घरमे जानकीक पूजा अचर्ना करबा लेल लोक सभकेँ प्रेड़ित करी।


photo ahi link par uplabdh achhi
http://mithlakgaamghar.blogspot.in/2012/12/maa-jaanki.html

मिथिलाक गामघर: MAA JAANKI
mithlakgaamghar.blogspot.in

Read more...

सोमवार, 1 अप्रैल 2013

जानकी नवमी एहि बरख 19 मइके ँ अछि। एहिसँ पूर्व मा जानकीक कैलेण्डर छपा मिथिलाक आन आन क्षेत्रमे निशुल्क बाटबाक योजना अछि। अपने लोकनिसँ आग्रह जे एहि योजनामे मदति करी। जे क्यौ मदति करता ओ अपन आ अपन संस्थाक नाम आ परचार ओहि कैलेण्डरपर छापि सकै छथि। प्रति कैलैण्डर बनेबामे 3-4 टाकाक खर्च आओत। एहि लेल अपने सभ गोटेसँ विनम्र आग्रह जे माँ मैथिलीकेँ घर घर धरि पहुँचेबामे मदति करी। आखिर की विडम्बना अछि जे राम नवमी आ आन पूजा बड़ धुम धामक संग मनाओल जाइत अछि मुदा जानकी नवमी दिस मिथिलाक गाम घरमे बेसी लोक जानबो नञि करै छथि। जानकारी अनुसार पछिला बरख 50 ठाम माटिक मुरूत बना जानकी मा केर पुजा कएल गेल छल। आउ फेरो प्रयास करी जे बेसीसँ बेसी ठाम ई पुजा मनाअ‍ोल जाए। photo ahi link par uplabdh achhi http://mithlakgaamghar.blogspot.in/2012/12/maa-jaanki.html

जानकी नवमी एहि बरख 19 मइके ँ अछि। एहिसँ पूर्व मा जानकीक कैलेण्डर छपा मिथिलाक आन आन क्षेत्रमे निशुल्क बाटबाक योजना अछि। अपने लोकनिसँ आग्रह जे एहि योजनामे मदति करी। जे क्यौ मदति करता ओ अपन आ अपन संस्थाक नाम आ परचार ओहि कैलेण्डरपर छापि सकै छथि। प्रति कैलैण्डर बनेबामे 3-4 टाकाक खर्च आओत। एहि लेल अपने सभ गोटेसँ विनम्र आग्रह जे माँ मैथिलीकेँ घर घर धरि पहुँचेबामे मदति करी। आखिर की विडम्बना अछि जे राम नवमी आ आन पूजा बड़ धुम धामक संग मनाओल जाइत अछि मुदा जानकी नवमी दिस मिथिलाक गाम घरमे बेसी लोक जानबो नञि करै छथि। जानकारी अनुसार पछिला बरख 50 ठाम माटिक मुरूत बना जानकी मा केर पुजा कएल गेल छल। आउ फेरो प्रयास करी जे बेसीसँ बेसी ठाम ई पुजा मनाअ‍ोल जाए।



photo ahi link par uplabdh achhi http://mithlakgaamghar.blogspot.in/2012/12/maa-jaanki.html

Read more...

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP