Ads by: Mithila Vaani

रविवार, 22 अप्रैल 2012

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२



गीत:-

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२ मुखड़ा

संग जीयब मरब किरिया खेने छलियै

संग छोड़ब नै सपथ लेने छलियै

छन में सभटा किरिया सपथ तोईड देलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

अहाँ बिन हम एकौ पल जीव नै सकब

माहुर विछोड्क हम पीव नै सकब

कहू संग कोना हमर अहाँ छोईड गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

छोट्मोट नोकझोंक होईते छै पियार में

साँच प्रेम कहाँ भेटत कतौ बाज़ार में

अदना बात पर किया रुईस गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

बाह्रैन नै पडैय गोरी घर आँगन दुवार में

बाती नै जरैय रहैत छि हम अन्हार में

दुधमुहा नेना के कोना बिसैर गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

खेतक काज सं थाकि आबी चूल्हा चौका करैछी

एसगर कन्किरबा कनकिरबी कें हमही डेबैछि

बच्चा बुच्ची सं मुह कोना मोईड लेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२


रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

Read more...

शनिवार, 21 अप्रैल 2012

सहयोग लेल खाता - दहेज मुक्त मिथिला" के संस्थागत खाता के पूर्ण डिटेल


दहेज मुक्त मिथिला - एक संस्था के रूप लेलक अछि। सभ के जानकारी देबय लेल चाहब जे एहि बेर सौराठ सभा में जानकी नवमी 

मनेबाक विचार अछि आ ताहि के संग-संग अगिला सौराठ सभामें कोन तरहें सहभागी बनब ताहि विन्दुपर आ विभिन्न विषय पर विचार करबाक योजना अछि। एहि में के सभ आबि सकैत छी वा के सभ अपन सहयोग पठा सकैत छी से जानकारी देल जाउ।
सहयोग लेल खाता - दहेज मुक्त मिथिला" के संस्थागत खाता के पूर्ण डिटेल

खाताधारक केर नाम :- सौराठ सभा विकास समिति एवं दहेज मुक्त मिथिला

खाता नं.:- 31742944456
खाताधारक केर बैंकक नाम :- भारतीय स्टेट बैँक
खाताधारक केर बैंकक पता :- रहिका, मधुबनी, बिहार
आई एफ, एस .सी . कोड:-SBIN0005897

(used for RTGS and NEFT transactions)
(
नोट: कोष जमा केला के बाद डा. शेखर चन्द्र मिश्र जिनक फोन नंबर निचां देने छी, हुनका जानकारी अवश्य दी। आई एफ, एस .सी. कोड अई लेल की जे सहयोगकर्ता ऑनलाइन सहयोग राशी जमा करS चाही ओ जमा कS सकैत छी।)
कार्यक्रम के योजना:
१. विचार गोष्ठी २८ अप्रील २०१२ - दिनके १ बजे सँ सभागाछी में।
२. जानकी नवमी ३० अप्रील २०१२ - भिनसर ७ बजे सँ सभागाछी में।
३. विधान परिषद्‌ सभापति तारा बाबु संग शिवनगरमें भेंटघाँट लेल प्रतिनिधि मंडल ३ बजे उपरान्त।
धन्यवाद!
प्रवीण ना. चौधरी
दहेज मुक्त मिथिला
९१३५४६२२५१
००९७७-९८५२०२२९८१.
स्थानीय सम्पर्क:
१. डा. शेखर चन्द्र मिश्र - ९२७९३४३०९०
२. पं. शंभुनाथ झा - ८८०९८००६२३
दिल्ली: मदन ठाकुर - ९३१२४६०१५०

Read more...

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP