Ads by: Mithila Vaani

शुक्रवार, 6 जनवरी 2012

जागु मैथिल मिथिलावाशी

जागु मैथिल मिथिलावाशी , बेटी के करू सम्मान ,
भेदभाव नै बेटा बेटी में दुनु एक सामान
दहेज़ मुक्त मिथिला के अभियान .............
दहेजक लेनदेन ब्याब्हार बनल अछि ,
बिबाह ता समाज में ब्यापार बनल अछि
बेटी के दहेज़ नै सिक्छा दिऔ तखने होयत असली कन्यादान
दहेज़ मुक्त मिथिला के अभियान ............
बेटा जनामिते ख़ुशी के बहार आबिया ,
बेटी जनामिते घर में हाहाकार मचैया
गर्भे में नै ह्त्या करू , बेटियों अछि अपने संतान
दहेज़ मुक्त मिथिला के अभियान .............

दहेजक कारने कते पुतहु जरैया ,
कते बेटी फांसी लगा मरैया
घरक लक्ष्मी बोझ बनल अछि
बेटा के बेचिए में लोग बुझैय अपन शान
दहेज़ मुक्त मिथिला के अभियान ..............
सृस्ती के निर्माणक आधार छित नारी ,
प्रेम , त्याग , शहनशीलता के पहचान छैथ नारी
मिथिला के बेटी के कैर सम्मान ,
बढाबू अपन मिथिला के शान
दहेज़ मुक्त मिथिला के अभियान ......
रचना:-
करुना झा

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP