जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट- (रिपोर्ट पूनम मण्डल)
-आइ जानकी नवमीपर ३० अप्रैल २०१२ केँ जानकी नवमीपर जनकपुरमे बम विस्फोट भेल
-कमसँ कम पाँच गोटे मुइलाह, दू दर्जनसँ ऊपर घायल भेलाह।
-एक गोटे ठामे, तीन गोटे जनकपुर अस्पतालमे, आ एक गोटे काठमाण्डूमे जतऽ हवाइ जहाजसँ चिकित्सा लेल किछु गोटेकेँ लऽ जाएल गेल छल, मुइलाह।
-जनतांत्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा द्वारा रामानन्द चौक, जनकपुरमे एकटा मोटरसाइकिल-बमक ई हमला संघमे मिथिला राज्य बनेबाक धरनापर कएल गेल। लगभग १५० गोटे धरनापर बैसल रहथि।
-मधेशी पार्टी सभ एक मधेशक मांग कऽ रहल अछि आ मिथिला राज्यक ऐ कारणसँ विरोध कऽ रहल अछि, जे ई मधेशी जनताकेँ तोड़बाक साजिश अछि।
मृतक-
मृतकमे रंजू झा, ३२ बर्ख- मिनाप (मिथिला नाट्यकला परिषद)क कलाकार, नाटक आ फिल्म अभिनेत्री; बिमल चरण, झगड़ू मण्डल आ सुरेश उपाध्याय छथि। एक गोटेक पहिचान नै भऽ सकल अछि।
-कमसँ कम पाँच गोटे मुइलाह, दू दर्जनसँ ऊपर घायल भेलाह।
-एक गोटे ठामे, तीन गोटे जनकपुर अस्पतालमे, आ एक गोटे काठमाण्डूमे जतऽ हवाइ जहाजसँ चिकित्सा लेल किछु गोटेकेँ लऽ जाएल गेल छल, मुइलाह।
-जनतांत्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा द्वारा रामानन्द चौक, जनकपुरमे एकटा मोटरसाइकिल-बमक ई हमला संघमे मिथिला राज्य बनेबाक धरनापर कएल गेल। लगभग १५० गोटे धरनापर बैसल रहथि।
-मधेशी पार्टी सभ एक मधेशक मांग कऽ रहल अछि आ मिथिला राज्यक ऐ कारणसँ विरोध कऽ रहल अछि, जे ई मधेशी जनताकेँ तोड़बाक साजिश अछि।
मृतक-
![]() |
रंजू झा, प्रचण्डसँ अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन, काठमाण्डूमे सम्मान ग्रहण करैत: चित्र साभार जितेन्द्र झा जनकपुर |
1 टिप्पणियाँ:
अति दुखद आ निन्दनिये घटना अछि, हम मैथिलि सिंगेर परिवार अहि घटनाक सख्त विरोध करैत छि............!!
आ................. कहैत छि .चाहे लले जतेक जान,, नै छोरबौ हम अप्पन मांग ...चाही मिथिला राज्य ..............!!
एक टिप्पणी भेजें