Ads by: Mithila Vaani

रविवार, 13 नवंबर 2011

परिवर्तन...

बर्तन बदलल बसन बदलल
सत्ता बदलल शासन बदलल
फुलचानक दोकान बदलल
पुआ आ पकबान बदलल..

पोखरिक घाट बदलल
गामक बाट बदलल
खरौआ जौरक खाट बदलल
गमैया हाट बदलल....

गीतनादक बहस बदलल
रमुआ मायक आस बदलल
गेना फुलक सुवास बदलल
कनुआ सन खवास बदलल....

ढोल बदलल पिपही बदलल
ठाओ बदलल पिरही बदलल
चुरा बदलल मुरही बदलल
उँच-नीच लग शिरही बदलल...


1 टिप्पणियाँ:

चन्दन झा 13 नवंबर 2011 को 6:37 pm बजे  

पागाक रूप बदलल
बियाहक स्वरूप बदलल
पोखिरी बदलल कूप बदलल
चालनी बदलल सूप बदलल

लालकाकिक सूती बदलल
बुढिया सबहक जुती बदलल

जाँ मानी ली जे
बड़ निक बड़ दीप
सभ किछु बदलल
बड़ दीप बड़ दीप
मुदा इ की भैले सखी!
सोहागाक चेन्ह
लाल टुहटुह सिनुरक रंग
किए बदलि गेल?

एक टिप्पणी भेजें

  © Mithila Vaani. All rights reserved. Blog Design By: Chandan jha "Radhe" Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP